हमर नजरि

हमर नजरि

Saturday, June 18, 2011

निगमानंद के मामला मे कोर्ट जायत मिथिला विकास परिषद् >

निगमानंद के मामला मे कोर्ट जायत मिथिला विकास परिषद् >
कोलकाताक नामी संस्था मिथिला विकास परिषद् हरिद्वार मे अनशन के दौरान भेल स्वामी निगमानंद केर मृत्यु के बिरोध मे अदालत जयता, परिषद् के अध्यक्ष अशोक झा जन्ताब देलनि जे स्वामी निगमानंद जी के मूल नाम स्वरुप कुमार झा "गिरीश" छलनी एवंग हुनकर परिवारक कतेको सदस्य सभ कोलकता मे रही रहल छथि, हुनकर निधन पर परिषद् हुनकर परिजन केर उपस्थिति मे एकटा शोक सभा आयोजित केने छल, पुनः ३ जुलाई २०११ के महाजाति सदन केर सभागार मे एकटा सर्वभाषायी शोक सभा आयोजित करत, जाही मे स्वामी निगमानंद केर पिता - प्रकाश झा , तथा माँ - कल्पना झा के "गौरवश्री" स सम्मानित कायल जेतनी, विदित हो जे हरिद्वार मे गंगा और ओकर घाट के अनैतिक दोहन क विरोध मे अनशन करी रहल स्वामी निगमानंद केर मृत्यु अनशन के ११५ दिनक बाद एकटा स्थानीय अस्पताल मे भ गेल छलनि,

जाऊ अहाँ लोकनि अहि मे सामिल हेबई चाहि बा कोनो शोक सनेश pathaabay chaahi t nicha del mobile no. par sampark kari-+919831031987 ashok jha (president - MITHILA VIKAS PARISHAD, KOLKATA)

No comments: